maithilisahitya, मैथिली कव, मैथिली गजल, मैथिली गीत, मैथिली कथा, मैथिली साहित्य MAITHILISAHITYA: गीत

फ़ॉलोअर

मैथिली साहित्य, मैथिली गजल, मैथिली कथा , मैथिली कविता, मैथिली गीत , कहमुकरी, चारपातिया

सामाचार

सामाचार

 




#बधाई 

बाबा नन्दके अँगनवा लेल्कैए ललना जन्मवा 

जगके रचैया एलै ना

चलु चलु हे बहिना मैया यसोधा अँगनवा बधैया गाब ना


सगरो यी सोर भेलै जगमे इजोर भेलै

देवगण प्रणाम करै ना

चलु चलु हे बहिना मैया यसोधा अँगनवा बधैया गाब ना


नन्द जी खुश भेलै अन्नधन लुटाब लाग्लैए

नन्दकिशोर एलै ना

चलु चलु हे बहिना मैया यसोधा अँगनवा बधैया गाब ना


सबहक मन मोहैवाला वंशी बजावैवाला

माखनचोर एलै ना 

चलु चलु हे बहिना मैया यसोधा अँगनवा बधैया गाब ना


Prayas Premi Maithil

 




बसाहा चढिक' भोला एल्खिन हाथ सोभैए त्रिशुल डमरु हे

चलु हे सखी बहिना चलै चलू बाबाके गंगाजल अर्पण करु हे ।


साउनके महिना काँधपर कावँर बहिना लचलच लचकैए हे

चलु हे सखी बहिना चलै चलू बाबाके गंगाजल अर्पण करु हे ।


बाघक छाला भौलाके आसन गालामे सोभैए साँपक माला हे

चलु हे सखी बहिना चलै चलू बाबाके गंगाजल अर्पण करु हे ।


बंमभौलाके महिमा छै अगम अपार सुमरैय दुनियाँ संसार हे

चलु हे सखी बहिना चलै चलू बाबाके गंगाजल अर्पण करु हे ।


Prayas Premi Maithil🖋️

 M- मिलनके राईत अपन अहाँ चूरि बजावै छी।

      घोंघमे नुकाके चाँन अहाँ हमरा तडपावै छी ।

F - मिलनके राईतमे साजन  किय नैई बाजै छी ।

      घोंघ त' उघारु हमर सजना किय सर्मावै छी ।


F - सपना सजाबू अहाँ अपन देखके यी चाँनके

      देरी नैई करु पुरा करु हमर दिलक अरमान के

M- सपना सजावैत पुरा क'देब दिलक अरमान य

      नयनसँ नयन लडाके अहाँ बनलौ हमर जान य

F - जवानीके धन्धोरामे हमरा किय जलावै छी


M- हमर नामके सेनुर अहाँ अपन शीतमे सजेलौं

      बनि गेलौं कनियाँ अहाँ हमर जिनगीमे एलौं

F - दुनियाँके रित साजन हर बेटी बनै छै कनियाँ

     भ'गेलौं अहाँके हम यौ सैञा बनिके दुल्हिनिया

M- शुभदिन सुहागक राईत किय बात बढावै छी


Prayas Premi Maithil

 गोरी नयना नसिली अहाँके चाँनसन य चेहरा ।

जख्नेंए निक्लैए छी रुप सजाएके भ'जाईय लफरा ।


अहाँके अंग अंगमे जाँदु भरल य कम्मर य कमानी 

सबके दिवाना बनावैय अहाँके गदरल जवानी 

पलमे पागल भ'जाई छै ओ अहाँ देखैछी जकरा


सेवसन गाल ल'के अहाँ चलैछी हिरणीके चालमे

हमरा फँसा लेलौं अहाँ  अपन प्रेमक जालमे

जे किओ नैई दैखै अहाँके ओकर बिगरैय जतरा


सम्हाएरके राखुँ चढल जवानी बन्द करू दोकान

दोसरप' नैई नजर गडाबु हमरा दियौग धिआन

हमर मनके मोहि लेलक अहाँके रंगिलाकट घघरा


Prayas Premi Maithil

 




अप्सरा जेकाँ जखन अहाँ रुप सजाएके एलियै ।

किछ नैई केलियै हमरा दिवाना बनाक' गेलियै ।


फुलैत गुलाबसनके अहाँक' मुस्कान

हैँस हैँसके हमर ल'रहल य प्राण 

जखन चौबन्नी मुस्की अहाँ मुस्का देलियै


नागिनसनके अहाँक' नसिली नयन 

डँसैल' चाहैय हमरा हरदम

अपन प्रेमक जालमे हमरा फँसा लेलियै


अहाँ बिनु हमरा निक नैई लागैय

अहाँके चेहरा हरदम तडपावैय

अहाँ गेलियै एकोबेर घुईरके नैई एलियै


Prayas Premi Maithil

 




बिधाताके लिखल बिधना कोनाक' मेटाबी हम ।

हमरो उमर लाईग जाऊ अहाँके हेयौं सनम ।


चाहें जतेक अहाँ गाली दियौग आ कहूँ हमरा बेवफा सनम

अहाँके शुखी जिवन खातिर हरदम दुवा करैत रहब हम

यी बिरहनके जीनगी कखनें कत' भ'जेतैए खतम

हमरो उमर लाईग जाऊ.....  .......


अपन सपनाक' लहासके हम कुन स्मसानमे जाके जरेवैए

दिलक डहलाह छाउर कोना लजाके कुन गंगामे भसेवैए

डेग लडखडाई छै हमर स्वीकारु करैछी प्रणाम हम

हमरो उमर लाईग जाऊ..... 


Prayas Premi Maithil



#लडका :- एना नै निहारु अहाँ हमरा प्रेमक नजरसँ
                दिल यी नाजुक हमर धकधक करै छै ।
#लड्की :- अखन अछि हमरो सोलह्के उमरिया
                पातर कमरिया हमर लचलच लच्कै छै ।

#लड्का :- नागिनसन आँईख अहाँके चलैछी हिरणीके चालमे ।
                 हमरा अपन दिवाना बनेलौं अहाँ सोल्हेए सालमे ।
#लड्की :- कुन जाँदु टोना केलौं हेरा गेलै हमर निंन चैन यौं ।
                हरदम अहिँक देख' चाहैय हमर नशिली नैंन यौं ।
#लड्का :- देखके अहाँके लाललाल सेवसन गाल
                मन नै मानैय जी लकपक करै छै ।

#लड्की :- सोलह सालके जवानी हमर नै होई छै कन्ट्रोल यौं ।
                बात करैछी जख्नें जख्नें अहाँ प्रेमक अनमोल यौं ।
#लड्का :- अहाँके चाँनसन चेहराप' अटैक गेल हमर दिल यैं ।
                अहाँ बिना आब  हमरा जिअल होईय मुश्किल यैं ।
#लड्की :- जल्दीसँ करु कोनो प्रेमक जोगार अहाँ
                यी मन देखूँ हमर सनसन करै छै ।

 



दिलके बात हम कोनाक' कहि यो साजन मन हमर घबराई छै ।

चढल जवानी हमर बित नें जाई  कहल बिना रहल नै जाई छै ।


दुरागवन क'के अहाँ परदेस चलि गेलौं, 

हमर जवानीके दर्द नै बुझलौं ।

सखिबहिन्पा हमरा जिस्कावैत रहै छै ,

अपन मनक' अहाँ मौजी भ'गेलौं ।

मनक ललुसा हमर मनमे फुद्कै चिल्कालेए मन ओनाई छै ।


साउस ससुर हमराप' शंका करैत छै ,

हरदम हमरा संग झगरैत रहै छै ।

तूही हमर बेटाके परदेस पठेलही ,

जखनी तखनी एतबेए रटैत छै ।

देवरा हमरा कूनजरसँ देखैय ननद नुङ्गिया मिरचाई छै ।


परदेससँ अहाँ जल्दी घर चलिआबु ,

घरके समस्या जल्दी सुल्झाबु ।

घुईट घुईटके हमर दिन कटिरहल छै ,

आबिक' हमरा गलासँ लगाबु ।

मनके ललुसा ललुसे नें रहिजाई से मन हमर घबराई छै ।


Prayas Premi Maithil

 



राईतके सपनामे एक परि आयल छेलै ।

चौबन्नी मुस्कीप' दिल हमर चोरा ल'गेलै ।

किछ नई बाजली हम सबकिछ भ'गेलै ।

हमर आँईखक निंन सेहो उडा ल'गेलै  ।


मोती जडल केश छेलै कारी घनघोर 

चेहरा छेलै ओकर चाँनसन चकोर

प्रेमक' मिठगर हमरा ओ स्वाद द'गेलै

चौबन्नी मुस्कीप' दिल ...  ....  ....  .....


पायरक पाजल बजै छेलै छनछन छन छन

सुईनके हमर दिलके बढिगेलै धडकन

ठोरक लालीस' हमरा ओ चुप क'गेलै ।

चौबन्नी मुस्कीप' दिल ...  ....  ....  .....


Prayas Premi Maithil


Prayas Premi Maithil


कहुँ की अहाँ पावै छी कहुँ की अहाँ पावै छी ।
घोंघमे नुकाके चाँन जे हमरा तडपावै छी ।।

दिलमे छै अन्हार प्रेमक ज्योत त' जलाबु ।
किय सर्मावै छी कनें लगमे त' आबु ।
घोंघ तरसे मुस्की द'के हमरा ललचावै छी ।
कहुँ की अहाँ पावै छी ....  ......  .....  ......

शुभ दिन अईछ अपन कोहबरक राईत यी ।
मन छै ब्याकुल अहाँ किय नै बुझैत छी ।
बनिक' दुल्हिनियाँ हमर किय लजावै छी ।
कहुँ की अहाँ पावै छी ....  ......  .....  ......




दिलक' चौरापर रोपली हम प्रेमक गाछ फूल फुलैसँ ओ पहिनें मुर्झा गेलै ।
नै जानी केकर कखनी लाग्लै नजर दुनियाँ देखैसँ  ओ पहिनें विदा भ'के गेलै ।।


सजायल सपनासब सजलें रहिगेलै मोनक सेहन्ताके उठलै लहास ।
ककरा देखके जिअब जिनगी केकरा लेल करि कुन चिजके आश ।
समाजक मुहपुरूख लोगसब हमर सुन्दर संसार उजाईर ल'गेलै ।
नै जानी केकर कखनी लाग्लै नजर .....  ......  .......  .....


नोरक' सागरमे कहुँ हम कबतक डुबी सुनैजाऊ हमर दिलके पुकार ।
लगायल बगैचा किय उजारै छी वरु बदलै जाऊ अपन गलत संस्कार ।
जकराप' हम करली विश्वास सेहे हमर जिनगी पजाही लगाक' गेलै ।
नै जानी केकर कखनी लाग्लै नजर .....  ......  .......  .....

Prayas Premi Maithil

विधाताके लिखन विधना यौ मिता अजगुत अपरम्पार छै ।
केकरो जिनगी ईजोरिया यौ मिता केकरो खिटखिट अन्हार छै ।

धनवानके पैसाके कारणे देखूँ रातिके निन्द नहि होई छै ।
ईहे पैसा नै भेलास' गरिब गैरबाहसब भुखे राईत काटै छै ।
पापी पेटक खातिर निको ईन्सान बाट बदलैल' लचार छै
केकरो जिनगी ईजोरिया यौ मिता....  .....  .....  ....  ....

परिवारक खुशीके लेल ईन्सान अपन खुशी जाई बिसैर ।
पैसाके पाछा पडिक' ईन्सान बनैय अपन जिनगीसँ गैर ।
भोटक' बाद गरिबक गाममे घुरिके नै आवैत सरकार छै
केकरो जिनगी ईजोरिया यौ मिता....  .....  .....  ....  ....

देखूँ आईकल  ईन्साने ईन्सानक' करे लागल ब्यपार यौ ।
केकरो दुबै केकरो मलेशिया  केकरो पठवैय कतार यौ ।
मनमर्जी पाय लैय एजेन्ट किओ नहि करैत खबरदार छै
केकरो जिनगी ईजोरिया यौ मिता....  .....  .....  ....  ....

Prayas Premi Maithil


गायक-   पुनमके चाँन जेका चम्कैत अहाँ एलौं हमर दिलके                  अँगनामे
              हम त'अपन दिल हारि गेलौं सजनी अहाँ संग मुहँ                   बजनामे ।
गायिका- पुनमके चाँन कहिक' हमरा अहाँ नै बहकाबु एम्हर                  ओम्हर
               लाल गुलाबसँ सजाके रख्ने छी अहाँलेल अपन                     दिलके घर ।

गायक-     प्रेमरस प्रसाद अहाँ हमरा लेल सुन्दर सगुन छी ।
गायिका-   हमर दिलके सजौना अहाँ लाल गुलाबके फूल छी ।
गायक-     सुमधुर सरगमके धुन बजिरहल य अहाँके हाथके                    कंगनासँ
                हम त' अपन दिल .......   ........   .......  ......

गायिका-   हमर दिलके धडकन पिया अहाँ हमर गुमान छी ।
गायक-     हेयै मनमोहिनी रानी अहाँ हमर प्रेमक बगान छी ।
गायिका-   की कहिरहल य कनियाँ अहाँके यौ सुनु हमर                          रंगरसिया वर ।
                लाल गुलाबसँ सजाके ......  .......   ........   .......   ...

- Prayas Premi Maithil

अहाँके सेवसन लाल गाल आ नजर य जालिदार यै ।
एना मुस्की जुईन मारु हम प्रेममे भ'जेब बेमार यै ।

ठोरपर मधुरस टपटप टप्कैय पायरक पायल मचावैय सोर यै
अहाँक' सुरत देखिक' लागैय सुरुजक लाली संग भेलै भोर यै
निन्द उडेलौं , चैन चोरेलौं, किय करबै छी ईन्तजार यै ।

मस्त जवानी खुलल य केस चाल चलै छी हिरणीके चाल यै
लडिते अहाँक नजरसँ नजर हमर मनमे उठैय प्रेमक सवाल यै
दिल द'के दिल ल'गेलौं किय करै छी प्रेमक पसार यै

प्रयास प्रेमी मैथिल

एक मासुम सा दिल ये मेरा 

F :- अहाँक' प्यारमे हम पागल भ'गेलौं।२
        अहाँ कुन जाँदू चला गेलौं ।३
M :- अहाँक' मन्द मुस्कीपर हेयै सजनी ।२
         हम त' सबकिछ भुला देलौं ।३

F :- नै भुख छै नै पिआस छै ।
       अहाँमे जरुर किछ खास छै ।
M :- मिठ बोईलके मिठ बातसँ ।
        दिल चोरेलौं दिलक' बागसँ ।
        सारा रिस्ता नाता हम भुला गेलौं ।
        अहाँ कुन जाँदू चला गेलौं ।३

M :- की बात छै दिल आजाद छै ।
        प्रेमक भ'रहल आभास छै ।
F :-  सुनू दिलक' आवाज यौ ।
       ल'के आबु डोली बरात यौ ।
       केहेन प्रेमक अहाँ उपहार द'देलौं ।
       हम त' सबकिछ भुला देलौं ।३
F :- अहाँक' प्यारमे हम पागल भ'गेलौं।२
        अहाँ कुन जाँदू चला गेलौं ।३
M :- अहाँक' मन्द मुस्कीपर हेयै सजनी ।२
         हम त' सबकिछ भुला देलौं ।३


Prayas Premi Maithil
यै सजनी यै अहाँ बिनु निक नै लागै य ।
मन ब्याकुल छै नयन अहाँके देखैल' तड्पै य ।

अहाँ सुन्दर सुहाओन हमर दिलके परि छी ।
प्रेमक सुगन्धसँ भरल अहाँ प्रेमक रसभरि छी ।
पास आबि जाउने अहाँ हमर मन लकपक करै य ।
यै सजनी यै अहाँ बिनु .....  ...... ......

सपना अहाँ हमर हेयै सजनी हरदम आवै छी ।
मन्द मुस्कान संग हमरा कहाँ छात्ती सँ लगावै छी ।
खुलिते आँईख हमर सबटा सपनासब बिलावै य ।
यै सजनी यै अहाँ बिनु .....  ......  .......

प्रयास प्रेमी मैथिल 

लड्का:-अहाँके घोघमे छुपल य चाँन हेयै सजनी
             अहाँके घोघमे छुपल य चाँन ।
लड्की:- अहीके प्रर्थना अहीके वन्दना हम करैछी शुभ'साम ।
             अहीमे बसैय हमर प्राण हेयौ सजना
             अहीँमे बसैय हमर प्राण ।

लड्की:-रुप सुहाओन चमचम चम्कैय, नयन ईशारा करैय ।
लड्का:- देख चौबन्नी मुस्कान अहाँके दिल धकधक करैय ।
लड्की:-अहीँ छी हमर आनवान हेयौ सजना
            अहीँमे बसैय हमर प्राण

लड्का:-ठोर गुलाबी नयन नसिली हमरा पs जाँदु चल्वैय ।
लड्की:-आँईखमे हमरो हरदम अहीँके सुरत चिप्कल रहैय ।
लड्का:-प्रेम भगवानके अछि वरदान हेयै सजनी
            अहाँके घोघमे छुपल य चाँन ।

लड्की:-अहीँके प्रर्थना अहीँके वन्दना हम करैछी शुभ'साम ।
            अहीँमे बसैय हमर प्राण हेयौ सजना
             अहीँमे बसैय हमर प्राण ।
लड्कि:-अहाँके घोघमे छुपल य चाँन हेयै सजनी
            अहाँके घोघमे छुपल य चाँन ।

प्रयास प्रेमी मैथिल


ओs..ओs..ओs..
अहाँ हमर सपना मे आवै छी , हे यौ हमर साजना , अहाँ हमर दिलके धड़कावै छी ।

आsआs. आsआs..    आsआs.  आsआs..
ओsओs. ओsओs..    ओsओs. ओsओs..
बिरहन बनिक तडपै छी यादमे
दिलक बात लिखै छी संवादमे
बुझब पिया हमर परेशानी
तडपी रहल य अहाँके रानी
हे यौ हमर साजना , अहाँ हमर दिलके धड़कावै छी ।

आँखी सँ हमर नोर चुवै छै
दिलक बात किओ नै बझै छै
थाकी गेलै नयन रस्ता निहारैत
आब कतेक हम पठाबी आढैत
हे यौ हमर साजना , अहाँ हमर दिलके धड़कावै छी ।

ओs..ओs..ओs..
अहाँ हमर सपना मे आवै छी , हे यौ हमर साजना , अहाँ हमर दिलके धड़कावै छी ।
ओs..ओs..ओs..
अहाँ हमर सपना मे आवै छी , हे यौ हमर साजना , अहाँ हमर दिलके धड़कावै छी ।

प्रयास प्रेमी मैथिल
पुनमके चाँन रूप आ मुस्की चौबनियाँ हमरा जान मारै य ।
अहाँके पातर पातर डाँर  रानी हमरा परेशान करै य ।  

निन्द चोरेलौं अहाँ हमर चैन चोरेलौं ।
अहाँके प्रेममे हम रानी दिवाना भऽगेलौं ।
नाकके नथुनियाँ अहाँके कानके झुलनियाँ बैमान बनै य ।
अहाँके पातर पातर डाँर......  ........  .......  .......  ........

अहनँके कारी नयन हमर मनके लोभावैय
दिन राति जखनें तखनें हमरा सतावैय
अहाँकऽ पायरक पाजलके छमछम हमर प्राण लै य  ।
अहाँके पातर पातर डाँर.......  ........  ........  .........  ....

प्रयास प्रेमी मैथिल
#लड्काः सुन्दर सिन्हासन दिलके चलू सजायब हम दुनू
              मिलके ।
              अरमान सबटा होतै पुरा पाबि लेबै अपन
              मन्जिलके ।
#लड्कीः सुन्दर सिन्हासन दिलके चलू सजायब हम दुनू
              मिलके ।
              अरमान सबटा होतै पुरा पाबि लेबै अपन
              मन्जिलके ।

#लड्काः अलग दु जान एक वदन दुुनू प्राणी हम।
              मिलके जिअब जीनगी मिलाके कदमसे कदम।
#लड्कीः रंगीन अपन सपना सजायब दिलके रंगसे ।
              आशिर्वाद देतै अपन प्रेमके देवतो भी गगनसे ।
#लड्काः अहाँके प्रेमक साथ रहतै तऽ झेली लेवै हर ।
              मुश्किलके ।
              अरमान सबटा होतै पुरा.....  ........  .......  .....

#लड्कीः मनके मन्दिरमे हरदम हम करब प्रेमके पुजा ।
              एक भगवान अहाँ हमर नै आउर कोनो छै दुजा ।
#लड्काः धन्य भऽगेलै जीवन हमर अहाँ साथ देलौं ।
              प्रेमक पुजा करिके हम भगवानके पावि लेलौं ।
#लड्कीः हम छी सजनी अहाँ साजन सुनू बात अपन
             दिलके ।
             अरमान सबटा होतै पुरा.....  ........  .......  .....

प्रयास प्रेमी मैथिल
| Copyright © 2016 डिजाईन प्रकाश मैथिल+९७४३३५०५३१४ >