maithilisahitya, मैथिली कव, मैथिली गजल, मैथिली गीत, मैथिली कथा, मैथिली साहित्य मैथिली लप्रेक - ६ | MAITHILISAHITYA

फ़ॉलोअर

मैथिली साहित्य, मैथिली गजल, मैथिली कथा , मैथिली कविता, मैथिली गीत , कहमुकरी, चारपातिया

सामाचार

सामाचार

मैथिली लप्रेक - ६

मैथिली लप्रेक - ६


अपन ससुराल स' किछु दिनक बाद सुनिता बौवा प्रभातके ल'के नहिरा आएल मुदा दुल्हा अपनें घरे रहि गेल । तकरबाद अपन बचपनके सखि चमेलिया सँ भेट गेल । चमेलिया सुनितिया स' पुछलक ,
चमेलिया :- आई गे सुनितिया चुपेचाप बियाह कsलेलही , अपन दुल्हाके देखेबो नें केलही । सोचलिही जे चमेलिया हमर दुल्हाके फुसला लेत नैं गे ?
सुनितिया :- हे ! से बात नै छै , हमर माँ बाप धरफरमे हमर बियाह कsदेलकौ तै नै कहs पेलियौ ।
चमेलिया :- अच्छा ठिक छै । आइ चल हमरा संगे बजार हमर Boyfriend भेटैलें आबिरहल छै । देखिहे केहेन छै हमर ऊ....।
सुनितिया :- अच्छा चल देख लैत छियो तोरो Lover के ।
सुनितिया चमेलिया संगे बजार गेल ।ओकर Boyfriend के देखै लेल । मुदा चमेलियाके Boyfriend के आवै मे कनें देरि भेलाके कारणें सुनितिया दुकानमे मेकअप  के सामान किनें लागल ।तहि बिचमे चमेलिया अपन Boyfriend के फोन कsके बजेलक । ओ आएल ।जब दुकान पs जाइ छै त सुनितिया पलैटके देखै छै, आ बजै छै ,
सुनितिया :- आईं यै अहाँ एमहर कतs ?
चमेलिया :- तु एकरा चिन्है छिहि गें ?
सुनितिया :- एहे त छियै हमर प्रभातके पापा ।
 चमेलिया :- स्तब्ध । पुरा चुपचाप , माने सकदम ।

प्रयास प्रेमी मैथिल®

कोई टिप्पणी नहीं:

| Copyright © 2016 डिजाईन प्रकाश मैथिल+९७४३३५०५३१४ >