maithilisahitya, मैथिली कव, मैथिली गजल, मैथिली गीत, मैथिली कथा, मैथिली साहित्य MAITHILISAHITYA: चारिपतिया

फ़ॉलोअर

मैथिली साहित्य, मैथिली गजल, मैथिली कथा , मैथिली कविता, मैथिली गीत , कहमुकरी, चारपातिया

सामाचार

सामाचार
हिड्दै छु संघर्षको बाटो म दु:खलाई अंगालेर ।
मुटुभित्र राखेको छु म तिम्रो मायालाई सम्हालेर ।।
जुनै औलामा टोक्दा पनि आफैलाई दुख्छ भने
किन गल्ती गर्नु बाढी आएको खोलामा हामफालेर ।

R. N. Arya

चारिपतिया - २७


चिकरी चिकरी कहैत एलौं
हमहूँ सब छी नेपाली !
सामान अधिकार मागलौं तs
बिहारीके उपनाम देलक झापाली !!

प्रयास प्रेमी मैथिल®

चारिपतिया - २६


पडोसियाके कोनाकें कोन दोष लगावी
जब बनल अछि अपनें भाइ गद्दार !
भतिजा भतिजीके टुगर बनेलकैय
कsके पडौसी संग भाइके खुनक' ब्यपार !!

प्रयास प्रेमी मैथिल®

चारिपतिया - २५


पाप करब त' नाश हाएत
शोक स' घटत शरिर !
धर्म करू पुण्य हाएत
खुलि जाएत तकदिर !!

प्रयास प्रेमी मैथिल®

चारिपतिया - २४


ईनारक' बेंगके बहारके दुनियाँ की थाह्
ओ त' ईनारेके स्वर्ग बुझैय छै !
जे कहियो किनको संग प्रेम नहिं केलक
ओकरा की थाह्.प्रेमक' दर्द की होएत छै !!

प्रयास प्रेमी मैथिल®

चारिपतिया - २३


सुतल छै कतेक निंनमे
जेना लsके छ मसिया निंन !
कतेक दिन भाइ भौजाईके चाकरी करब
एक दिन हुव पडत आहूँके भिन !!

प्रयास प्रेमी मैथिल®

चारिपतिया - २२



अहिना अहिनामे जरि जेतैए
समुच्चा घर दलान !
भाइ-भाइबिच कट्तैय मरतैय
यी मधेश एकदिन बनि जेतैय स्मसान !!

प्रयास प्रेमी मैथिल®

चारिपतिया - २१


जे पिवैत एलैय खुध सबदिन सँ
सब तेकरे पाछा गाईर घसै छै !
जे चाहै छै खुन बचावके लेल
तेकर त' किओ बात नैं सुनैय छै !!

प्रयास प्रेमी मैथिल®

चारिपतिया - २०


मनमें आशाके दिप जरेनें
पुजीरहल छी हम अहाँके !
अहाँ छी सर्वव्यापी प्रभु
दु:ख हरै छी सारा जाहाँके !!

प्रयास प्रेमी मैथिल®

चारिपतिया - १९


डेग-डेग पs छै लक्ष्मण रेखा
कोनाके करि जीनगीके सफर !
यी मानव जीवन पहाड बुझाई छै
जेनें चलैय छी ओनें भेटैय दु:खक' कहर !!

प्रयास प्रेमी मैथिल®

चारिपतिया - १८


साइं बौहमे झगडा भेल
बाजाभुकी सब बन्द भ'गेल !
दिनभरि रहै दूनूँ मुह फुलेनें
राति खेलैय मुस बिलाईके खेल !!

प्रयास प्रेमी मैथिल®

चारिपतिया - १७




बिख घोरी कs द'दिअँ हमरा
हम पीलेब एकें साँसमे !
मरितो दमतक अहिं सँ करब प्रेम
कहिरहल छी हम ग्रुप बिच मासमें !!

प्रयास प्रेमी मैथिल®

चारिपतिया - १६


खुल्लि गग़नमे प्रेमक' पंक्षी
खुशीके सफर कsरहल छै !
हमर प्रेमक' निशानी प्रिय
अहाँके संगमे पलिरहल छै !!

प्रयास प्रेमी मैथिल®

चारिपतिया - १५


छी अहाँ कुशिहारक' झार
मोन होइ छै चिबवितें रहिं !
केहेन काइंप लगेलौं अहाँ ठोर पs
 मोन होइछै अहाँके की कही नै कही !!

प्रयास प्रेमी मैथिल®

चारिपतिया - १४


कंचन कोमल गोर वदन
दाँत छठकैय ये चाँनी सन !
जख्नें अहाँ दै छी चौबन्नी मुश्की
हमर धक-धक धड़कैय ये धड़कन !!

प्रयास प्रेमी मैथिल®

चारिपतिया - १३


दम धरू हार नै मानूं
लागल रहूँ करैय लs दुश्मनके चीत !
देर सही अंधेर नहिं होइतै
हेतै एकदिन मिथिलाके जित !!

प्रयास प्रेमी मैथिल®

चारिपतिया - १२


आश लगौनें बाट तकै छी
एकदिन आयत हमरो साजन !
हुनके हात सँ' अपन शीत सजायब
एकदिन बनबैय हमहूँ सुहागन !!

प्रयास प्रेमी मैथिल®

चारिपतिया - ११


हिन्दुके माहान पावैन एलै दियाबाती
घर आंगनमे दिप जरेवैय आ खेलवैय हुक्कापाती !
केन्डिल बनाकें आकाशोमें बारवैय बडका दिप
संगतुरिया संगमे खुशी बाटैत गाबवैय दिपावली गीत !!

प्रयास प्रेमी मैथिल®

चारिपतिया - १०


घरक' आनाज सब भुस्सा बनेंल्कैय
खेली कs मुस बिलाईके खेल !
शिशिरमे भाइके खुन से होली खेललकैय
आयल बसन्त तें बैरुसंग केल्कैय मेल !!

प्रयास प्रेमी मैथिल®

चारिपतिया - ९


मिथिलामें दियावाती एलै
दिप जगमगाए छै चाहूँओर !
भरदुतियामे भाइके बाट निहारैत बहिन
मिठ पकवान संग तरुवा तरैय छै परोर !!

प्रयास प्रेमी मैथिल®
| Copyright © 2016 डिजाईन प्रकाश मैथिल+९७४३३५०५३१४ >