#बधाई
बाबा नन्दके अँगनवा लेल्कैए ललना जन्मवा
जगके रचैया एलै ना
चलु चलु हे बहिना मैया यसोधा अँगनवा बधैया गाब ना
सगरो यी सोर भेलै जगमे इजोर भेलै
देवगण प्रणाम करै ना
चलु चलु हे बहिना मैया यसोधा अँगनवा बधैया गाब ना
नन्द जी खुश भेलै अन्नधन लुटाब लाग्लैए
नन्दकिशोर एलै ना
चलु चलु हे बहिना मैया यसोधा अँगनवा बधैया गाब ना
सबहक मन मोहैवाला वंशी बजावैवाला
माखनचोर एलै ना
चलु चलु हे बहिना मैया यसोधा अँगनवा बधैया गाब ना
Prayas Premi Maithil