भावनाके सरोवरमे अहाँ आई नेहाए लिअ !
यै अपन भाग्यके एकबेर अजमाए लिअ !!
आब ककरो उपर विश्वास नई करु अहाँ ,
खेल खेलैसँ पहिने अहाँ हर्दा बजाए लिअ !
एहेन मोका फेर फेर नहि आयत कभियो ,
अहिबेर अहाँ अपन बदला सधाए लिअ !
छल, कपट सब सबकिछु सँ दूर रहिक' ,
अपन सुन्दर सपनाके घर सजाए लिअ !
कुलक' देहरिके एक अहिटापर आशा ये ,
यै अपन प्रेम सँ कुलक' दिप जराए लिअ !
💝प्रयास प्रेमी मैथिल®













कोई टिप्पणी नहीं: